![]() |
| पूर्व अध्यक्ष : श्री भवनाथ झा जानकारी दैत.... |
Wednesday, October 19, 2011
मिथिला सेवा समिति (बेलूड़) केर नव कार्यकारिणी केर गठन
हावड़ा १९/१०/२०११ -(प्रकाश झा ) मिथिला सेवा समिति (बेलूड़) केर नव कार्यकारिणी केर गठन भेल अछि , जाही में राजीव रंजन मिश्र के अध्यक्ष , उपाध्यक्ष -सुमन झा , सचिव -संजय झा , सहायक सचिव -हेमकांत झा (कन्हैया), कोषाध्यक्ष -राज कुमार झा , (कैप्टन), जगरनाथ मिश्र , ऑडिटर -संतोष झा छथि, कार्यकारी सदस्य में भवनाथ झा , राघवेन्द्र झा , नवीन चौधरी , सुभाष चन्द्र झा , पवन , भरत , शैलेश चौधरी , प्रकाश झा (पत्रकार), संजीव झा (गुड्डू), सुमन झा आ बिपिन छथि , बिगत रवि दिन केर बैसार में सर्बसमति स एकर चुनाव भेल , अहि चुनाव में मुख्य भूमिका में मिथिला सेवा समिति चेरिटेबल ट्रस्ट केर संस्थापक सदस्य , श्री दिनेश मिश्र , प्रदीप झा , संतोष झा (पप्पू ), रामचंद्र झा , अनंत झा , आदि उपस्थित छलाह, अहि में बेलूर केर बहुतो मैथिल भाषी उपस्थित छलाह.. विदित हो जे बहुत दिन स भवनाथ झा अध्यक्ष छलाह.
Sunday, October 3, 2010
मिथिला सेवा समिति चेरिटेबल ट्रस्ट के रक्त दान शिविर के आयोजन.
" करय विग्यान कतबो अनुसंधान, क नहि सके रक्त निर्माण " ई लोकोकक्ति सते कहल गेल अछि जे बिनु रक्तदान केने रक्त उपलब्ध नहि भ सकैत अछि, लगातार 7 वर्ष स मिथिला सेवा समिति चेरिटेबल ट्रस्ट स्वेच्छा रक्त दान शिविर के आयोजन सब साल के भाँति आहियो बेर बेलुरक विद्यापति भवन मे कायलक, जाही मे 60 गोटे अपन रक्त दान केलनि, अहि अवसर पर मिथिला सेवा समिति चेरिटेबल ट्रस्ट के चेयरमेन श्री दिनेश मिश्रा, सचिव संतोष चौधरी, कोषाध्यक्ष सुभाष झा एवं संस्थाक सदस्य रामचंद्र झा, मिथिला सेवा समितिक अध्यक्ष भावनाथ झा, सचिव संजय झा, राघवेंद्र झा, भरत झा, शैलेश चौधरी, किशोर ठाकुर, कैप्टन, नवीन आदि अपन उपस्थिति दर्ज़ करोलनि, अहि अवसर पर दिनेश मिश्रा रक्तदाता सब के अशेष साधुबाद देलनि, रक्त दाता सब बेलुरे नहि, कोलकाता, रिसरा, लिलूआ सब स आयल छलाह, जाहि मे मैथिल, मारवारी, बंगाली सब बढ़ी-चढ़ी के भाग लेलनि, अहि मे सब स बेशी युवा वर्ग सब अपन रक्तदान क हर्षित छलाह, रक्त दाता सब 3 बजे धरि आबैत रहलाह, मुदा 60 टा सीट आरक्षित होय के कारने किछु लोक वापस चली गेला, अहि अवसर पर बेलुरक मैथिल सब के सहयोग सराहनीय रहल, ओना ई संस्था सदिखण किछुने-किछु अहि तरहक पुनीत काज करैत रहैत अछि., बाहर स आयल डाक्टरक दल सब लोक सब के देखी कहलक जे हम सब बहुत ठाम जायत छि, जाहि ठाम लोक सब के पकरी-पकरी के आनय परैत अछि, मुदा अहि ठाम के लोक सब के रक्त दै लेल अजबे क्रेज़ अछि,
Wednesday, September 29, 2010
Monday, July 19, 2010
Saturday, August 22, 2009
स्वतंत्रता दिवस के अवसर पर कार्यक्रमक छठम वर्ष |
समिति द्वारा १५ अगस्त २००९ के स्वतंत्रता दिवस के अवसर पर विशेष आयोजन भेल, जाही में भाषण आ माध्यमिक-उच्च्माध्यामिक बच्चा सब के पुरस्कृत केल गेल, इ लगातार छ बरख स आयोजित होइत आबी रहल अछि, अहि में वाद-विवाद प्रतियोगिता इत्यादि भेल छल, आओर कार्यक्रम नीचा विस्तार स
- वाद-विवाद प्रतियोगिता में उच्चतम स्थान :
१) मिहिर कुमार झा -पुत्र -श्री भवनाथ झा
२) प्रतिभा झा -पुत्री -श्री अखिलेश झा
३) मेघा झा -पुत्री-श्री भवनाथ झा- माध्यमिक एवं उच्च्माध्यामिक परीक्षा वर्ष -२००९ में उतीर्ण मेधावी छात्र ओ छात्रा के नाम निम्न अछि
माध्यमिक :
१) पहिल -पूजा झा
२) दोसर - मोहित झा
३) तेसर - राहुल झा
उच्च्माध्यामिक :
१) पहिल - nitish कुमार thakur
२) दोसर - राहुल ray
३) तेसर - rudranand मिश्रा
ऊपर लिखित सब के विशेष अतिथि द्वारा पुरस्कृत kayal गेल
Monday, August 10, 2009
मिथिला सेवा समितिक विशेष आयोजन
महानुभाव ,
विदित हो जे "मिथिला सेवा समिति (बेलूर)" सब साल जेना अहियो साल १५ अगस्त २००९ के मिथिला भवन में माध्यमिक आ उच्च्माध्यामिक के प्रतिभावान विद्यार्थी के पुरस्कृत करत आ किछु क्विज़ प्रतियोगिता के आयोजन सेहो रखल गेल अछि, जाही में अपनेक लोकनी आमंत्रित छी,
संगही, ६ सितम्बर के रक्तदान शिविर के आयोजन अछि, जाही में अपनेक लोकनी आबी, रक्त दान करी आ देशक भविष्य के बचाबी,
धन्यवाद ,
विशेष जानकारी हेतु साईट पर देल नम्बर पर संपर्क करी,
विदित हो जे "मिथिला सेवा समिति (बेलूर)" सब साल जेना अहियो साल १५ अगस्त २००९ के मिथिला भवन में माध्यमिक आ उच्च्माध्यामिक के प्रतिभावान विद्यार्थी के पुरस्कृत करत आ किछु क्विज़ प्रतियोगिता के आयोजन सेहो रखल गेल अछि, जाही में अपनेक लोकनी आमंत्रित छी,
संगही, ६ सितम्बर के रक्तदान शिविर के आयोजन अछि, जाही में अपनेक लोकनी आबी, रक्त दान करी आ देशक भविष्य के बचाबी,
धन्यवाद ,
विशेष जानकारी हेतु साईट पर देल नम्बर पर संपर्क करी,
Tuesday, February 3, 2009
Wednesday, January 21, 2009
Monday, January 12, 2009
Monday, January 5, 2009
हकार
"विदित हो जे मिथिला सेवा समिति, रजत जयंती पर्वक उपलक्ष में द्विदिवसीय विद्यापति स्मृति पर्व समारोहक आकर्षक आयोजन आगामी दिनांक २४ आ २५ जनवरी,२००९ (शानिदिन एवं रविदिन) समय बेरुकपहर चारि बजे स होमय जा रहल अछि! उक्त अवसर पर अपने सबंधू -बांधव आमंत्रित छि!
धन्यवाद !!!!!!!!
धन्यवाद !!!!!!!!
Friday, January 2, 2009
नव सालक शुभकामना संग
अहि ब्लॉग पर आबय बाला लोक सब के स्वागत आ अभिनन्दन : नव सालक शुभकामना संग अहाँ सब लोकनि केसमक्ष मिथिला सेवा समिति अपन एकटा नबका ब्लॉग प्रस्तुत क रहल छथि! जाहि में मिथिला सेवा समिति द्वाराकायल जा रहल काज आ हुनक प्रसंसनिए काजक सब ब्यौरा प्राप्त क सकब !
Subscribe to:
Posts (Atom)










