" करय विग्यान कतबो अनुसंधान, क नहि सके रक्त निर्माण " ई लोकोकक्ति सते कहल गेल अछि जे बिनु रक्तदान केने रक्त उपलब्ध नहि भ सकैत अछि, लगातार 7 वर्ष स मिथिला सेवा समिति चेरिटेबल ट्रस्ट स्वेच्छा रक्त दान शिविर के आयोजन सब साल के भाँति आहियो बेर बेलुरक विद्यापति भवन मे कायलक, जाही मे 60 गोटे अपन रक्त दान केलनि, अहि अवसर पर मिथिला सेवा समिति चेरिटेबल ट्रस्ट के चेयरमेन श्री दिनेश मिश्रा, सचिव संतोष चौधरी, कोषाध्यक्ष सुभाष झा एवं संस्थाक सदस्य रामचंद्र झा, मिथिला सेवा समितिक अध्यक्ष भावनाथ झा, सचिव संजय झा, राघवेंद्र झा, भरत झा, शैलेश चौधरी, किशोर ठाकुर, कैप्टन, नवीन आदि अपन उपस्थिति दर्ज़ करोलनि, अहि अवसर पर दिनेश मिश्रा रक्तदाता सब के अशेष साधुबाद देलनि, रक्त दाता सब बेलुरे नहि, कोलकाता, रिसरा, लिलूआ सब स आयल छलाह, जाहि मे मैथिल, मारवारी, बंगाली सब बढ़ी-चढ़ी के भाग लेलनि, अहि मे सब स बेशी युवा वर्ग सब अपन रक्तदान क हर्षित छलाह, रक्त दाता सब 3 बजे धरि आबैत रहलाह, मुदा 60 टा सीट आरक्षित होय के कारने किछु लोक वापस चली गेला, अहि अवसर पर बेलुरक मैथिल सब के सहयोग सराहनीय रहल, ओना ई संस्था सदिखण किछुने-किछु अहि तरहक पुनीत काज करैत रहैत अछि., बाहर स आयल डाक्टरक दल सब लोक सब के देखी कहलक जे हम सब बहुत ठाम जायत छि, जाहि ठाम लोक सब के पकरी-पकरी के आनय परैत अछि, मुदा अहि ठाम के लोक सब के रक्त दै लेल अजबे क्रेज़ अछि,
Subscribe to:
Post Comments (Atom)
No comments:
Post a Comment