![]() |
पूर्व अध्यक्ष : श्री भवनाथ झा जानकारी दैत.... |
हावड़ा १९/१०/२०११ -(प्रकाश झा ) मिथिला सेवा समिति (बेलूड़) केर नव कार्यकारिणी केर गठन भेल अछि , जाही में राजीव रंजन मिश्र के अध्यक्ष , उपाध्यक्ष -सुमन झा , सचिव -संजय झा , सहायक सचिव -हेमकांत झा (कन्हैया), कोषाध्यक्ष -राज कुमार झा , (कैप्टन), जगरनाथ मिश्र , ऑडिटर -संतोष झा छथि, कार्यकारी सदस्य में भवनाथ झा , राघवेन्द्र झा , नवीन चौधरी , सुभाष चन्द्र झा , पवन , भरत , शैलेश चौधरी , प्रकाश झा (पत्रकार), संजीव झा (गुड्डू), सुमन झा आ बिपिन छथि , बिगत रवि दिन केर बैसार में सर्बसमति स एकर चुनाव भेल , अहि चुनाव में मुख्य भूमिका में मिथिला सेवा समिति चेरिटेबल ट्रस्ट केर संस्थापक सदस्य , श्री दिनेश मिश्र , प्रदीप झा , संतोष झा (पप्पू ), रामचंद्र झा , अनंत झा , आदि उपस्थित छलाह, अहि में बेलूर केर बहुतो मैथिल भाषी उपस्थित छलाह.. विदित हो जे बहुत दिन स भवनाथ झा अध्यक्ष छलाह.